Wednesday, December 21, 2011

प्रकाश झाक निर्देशनमे मैलोरंग, दिल्लीक मैथिली नाटक प्रस्तुति-- (मुन्नाजीक रिपोर्ट)

स्व. राजकमल चौधरीक प्रसिद्ध कथा  “ललका पाग”क नाट्य रूपान्तरण प्रस्तुत कएल गेल- (मुन्नाजीक रिपोर्ट)
२० दिसम्बर २०११ केँ भारतक राजधानी दिल्लीमे प्रतिष्ठित संस्था ’मैलोरंग” द्वारा मिथिलोत्सव-११ क सफल संचालन श्रीराम सेन्टर, मण्डी हाउस दिल्लीमे कएल गेल।
ऐ अवसरपर स्व. राजकमल चौधरीक प्रसिद्ध कथा “ललका पाग”क नाट्य रूपान्तरण प्रस्तुत कएल गेल, जइमे नाटकक सभ तरहक तकनीकक संयोजन आ प्रदर्शन देखाएल।
मुदा आधुनिक प्रयोगक नामपर अतिप्रयोगसँ सामान्य दर्शककेँ कतेको बेर अगुताइत देखल गेल। संगहि मंचकेँ आवश्यकतासँ बेशी देर धरि छोड़ि देल जाइत छल जे संयोजनक कमीकेँ देखार करैत रहल।
दोसर सत्रमे प्रसिद्ध रंगकर्मी श्री दयानाथ झाकेँ ज्योतिरीश्वर सम्मान, श्री मुकेश झाकेँ श्रीकान्त मण्डल सम्मान आ श्रीमती सुधा झाकेँ प्रमिला सम्मान देल गेल। सत्य! सम्मानसँ रंगकर्मीकेँ ऐ क्षेत्रमे आगाँ बढ़बामे बल भेटत।
तेसर सत्र गीत संगीतकेँ समर्पित रहल। ऐ सत्रमे लिटिल चैम्प नेना सुश्री मैथिली ठाकुरक “जय जय भैरवि..” सभ दोसर क्रियाकलापपर भारी रहल आ कर्णप्रिय रहल। गम्भीर अस्वस्थताक पछाति स्वस्थ भऽ पहिल बेर अंशुमाला जीक प्रस्तुति “पिया मोर बालक” लोककेँ मोहलक। मुदा हुनकर अस्वस्थ अवस्था अखनो हुनकर चेहरापर नजरि आएल जे मोनकेँ कचोटलक।

प्रकाश झाक निर्देशनमे मैथिली नाटकक प्रस्तुति


१. एक छल राजा, लेखक – उदय नारायण नचिकेता, निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – १८/०२/२००७
स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली)

२.कमलमुखी कनियाँ, मूल कथा – राजकमल चौधरी (नाट्यरूपांतर), निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – ०१/०८/२००८, स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली)
३. जल डमरू बाजे, लेखक – रामेश्वर प्रेम (मूल हिन्दीक मैथिली अनुवाद), निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – २७/०९/२००९, स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली)

४.जल डमरू बाजे (पुनः), लेखक – रामेश्वर प्रेम (मूल हिन्दीक मैथिली अनुवाद), निर्देशन – प्रकाश झा
दिनांक – ०७/०५/२०१०, स्थान – नृत्य कला मन्दिर (पटना)

५.विलाप, मूल कविता – बैद्यनाथ मिश्र यात्री,नाट्यरूपांतर – महेंद्र मलंगिया,निर्देशन – प्रकाश झा,दिनांक – ०२/०१/२०११,स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली)

६.मुक्ति पर्व, लेखक – अविनाश चंद्र मिश्रा (हिंदी), मैथिली अनुवाद – जितेन्द्र झा, निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – २९/०८/२०११, स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली)
७. स्व. राजकमल चौधरीक प्रसिद्ध कथा “ललका पाग”क नाट्य रूपान्तरण, निर्देशन – प्रकाश झा, स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली), दिनांक – १०/१२/२०१२

(हिन्दी-मिश्रित)
. काठक लोक, लेखक – महेंद्र मलंगिया, निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – ११/०९/२००६, स्थान – श्रीराम सेंटर (दिल्ली) (हिन्दी-मिश्रित)
. काठक लोक (पुनः), लेखक – महेंद्र मलंगिया, निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – २९/०६/२००८
स्थान – नगर भवन (मधुबनी) (हिन्दी-मिश्रित)

[नाटक – कोसी सन बेदर्दी जग मे कोई ने (हिन्दी-ऐमे ओना किछु मैथिली गीत रहए), लेखक – ओम प्रकाश भारती, निर्देशन – प्रकाश झा, दिनांक – १२/०९/२००८, स्थान – राजेन्द्र भवन (दिल्ली)]
[नाटक – पाँच पत्र, मूल कथा – हरिमोहन झा, नाट्यरूपांतर – महेंद्र मलंगिया, निर्देशन – उत्पल झा, दिनांक – २१/१२/२००९, स्थान – त्रिवेणी कला संगम (दिल्ली)]

No comments:

Post a Comment