Friday, October 12, 2012

प्रतिविम्ब रंगमञ्चक वार्षिकोत्सव समारोह २९ गोटेद्वारा रक्तदान (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )



जनकपुरधाम, आसिन २५ ।
मैथिली कला संस्कृति क्षेत्रमे काज करयबला जनकपुरक सक्रिय संस्था प्रतिविम्ब रंगमञ्चक पहिल वार्षिकोत्सवक अवसरपर बृहस्पति दिन रक्तदान कार्यक्रम कएल गेल अछि । ओ कार्यक्रममे २९ गोटे रक्तदान कएलन्हि ।
रक्तदान करयबलामे रामेश्वर साह, राम केवल साह, राज किशोर मुखिया, प्रभाव कुमार साह, मंजित कुमार सिंह, मनोज राय यादव, रविश सिंह, राज किशोर सहनी, गोकुल पौडेल, रमेश कुमार साह, अरविन्द कुमार यादव, अनुज कुमार सिंह, अविनाश झा, रोहित कुमार दास रहल छथि ।
तहिना रक्तदान करयबला अन्य व्यक्तिमे जनक कुमार यादव, अनिल कुमार दास, भरत राय, मोहन साह, राम हृदय यादव, महेश्वर साह, रंजीत कुमार मण्डल, अनिल कुमार महतो, संजीव महासेठ, अर्जुन कुमार यादव, प्रमोद कुमार यादव, दिपक कुमार शर्मा, सूर्य देव ठाकुर, पुजन कुमार साह आ राजेश राम रहल छथि ।
शुक्रदिन जनकपुरक वृद्धाश्रममे फलफुल वितरण आ शनिदिन सांस्कृतिक कार्यक्रम कएल जाएत । ओ कार्यक्रममे रामेश्वर साहद्वारा लिखित एवं निर्देशित मैथिली भाषाक नाटक ‘कतेक सहब’ कएल जाएत

No comments:

Post a Comment