१
श्री अमर नाथ झाक रिपोर्ट

अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२ के सफल बनेबाक हेतू कोटि - कोटि धन्यवाद...कार्यक्रम अत्यंत सफल रहल. श्रीमति शीला दीक्षित, मुख्यमंत्री दिल्ली, श्री प्रभात झा, राज्य सभा सांसद, श्री महाबळ मिश्र सांसद दिल्ली, श्री गौरी शंकर राजहंस, पूर्व सांसद, डॉक्टर एस सी एल गुप्ता, विधायक , श्री अनिल कुमार शर्मा सी एम डी आम्रपाली समूह, श्रीमति पूनम झा आजाद, डॉक्टर संजीव मिश्र आदिक गरिमामयी उपस्थिति रहल. स्वागताध्यक्ष डॉक्टर संजीव मिश्र के मिथिला वर्णन आ मिथिला शब्द विन्यास के अर्थ वास्तव मे अतुलनीय, रोचक आ ज्ञान वर्धक छल...
मुख्य मंत्री बजलीह जे मिथिला के लोकक कारण स दिल्ली बेसी सुंदर आ संवारल लागैत छैक. ओ ईहो बजलीह जे हुनको मैथिली भाषा बड्ड निक लागैत छैन....श्री प्रभात बाबू गाम स जुरल राह्बा पार जोर देलाह आ संगही हुनका स प्रेरणा भेटल जे एकटा सामान्य व्यक्ति केना अप्पन योग्यता आ नीक विचार के बल पर कतौ अप्पन स्थान बना सकैत अछि, हमरा सभ मैथिलक लेल प्रेरणा श्रोत अछि.
श्री अनिल कुमार शर्मा जी आम्रपाली समूह के सी एम् डी, कहलाह जे मिथिला भवन के निर्माण में अप्पन पूरा सहयोग देताह, डॉ एस सी एल गुप्ता विधायक संगम विहार सेहो विश्वास दियेलाह जे ओ श्री अनिल कुमार शर्मा जीक संग मिथिला भवनक निर्माण में सहयोग करताह.
श्री गौरी शंकर राजहंस जी, श्री राम कुमार झा एवं श्रीमति पूनम झा आज़ाद के संबोधन सेहो अनुकरणीय छल.
मिथिला के किछु गणमान्य व्यक्तित्व के मिथिला विभूति सम्मान स' सम्मानित कयल गेल. आ नव निर्वाचित मैथिल पार्षद के सेहो सम्मानित कयल गेल.
सभ अतिथि के मखान, पाग, दुपट्टा, पुष्प-हार आदि स स्वागत कयल गेलनि.
अतिथि सभक संबोधन में विलम्ब होयबाक कारण स रंगारंग कायर्क्रम सेहो विलम्ब स प्रारम्भ भेल परिणामस्वरूप कतेको कलाकार अप्पन प्रस्तुति देबा स वंचित रहलाह परन्तु ३ घंटा के लगभग जे कार्यक्रम चलल से झम्कौआ छल. बहुत श्रोता लोकनि के चल गेला तक कार्यक्रम चलैत रहल आ बादक से कार्यक्रम छल से वास्तव में सुने आ देखे वाला छल. मुख्य कलाकार में छलाह/छलीह : श्री विपिन मिश्र, श्री पवन नारायण झा, श्री अमोध झा, श्री मिथिलेश झा, श्री सुनील पवनजी, श्रीमती रश्मिरानी, कुमारी अंशुमाला, कुमारी जुली झा, श्री सुधानंद झा आदि...
कुल मिला क अपने सबहक सयहोग आ आशीर्वाद स कार्यक्रम सफल रहल. अपने सबहक अहिना समर्थन रहत त अप्पन मिथिला आ मैथिली के दशा आ दिशा भेटत जाहि सा अप्पन सबहक पहचान विशिष्ट होयत.
मिथिलेश झा, रश्मिरानी आदि द्वारा मैथिली लोकनाट्य डोमकछ, झिझिया आदिक प्रदर्शन भेल आ अन्य सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल (चित्र नीचाँ..)
सतत एही अभिलाषाक संग
अपनेक
२
श्रीमती पूनम मण्डल रिपोर्ट अमर नाथ झाक रिपोर्ट
दिल्लीक रफी मार्गपर अवस्थित मावलंकर सभागारमे २० मइ २०१२ केँ मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ सम्पन्न भेल।
दिल्लीक विकासमे बिहारीक योगदान सभसँ बेशी अछि, ई गप दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित २० मइ २०१२ ई. केँ अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे मिथिलाक विशिष्ट विभूति सभकेँ सम्मानित करबाक बाद देल अपन भाषणमे कहलन्हि। ई जे दिल्लीक प्रशंसा विश्व भरिमे भऽ रहल अछि से बिहारी लोकनिक योगदानसँ विशिष्ट बनल अछि, ओइमे सँ किछु गोटेकेँ सम्मानित कऽ हुनका खुशी भेल छन्हि से ओ कहलन्हि। ओ महाबल मिश्र सांसदकेँ मैथिलीक प्रयोगमे लाज करबा लेल हँसी मे आलोचना सेहो केलन्हि, ओ कहलन्हि जे मैथिलीक प्रचार-प्रसार एकर विकास लेल जरूरी अछि, ओ कहलन्हि जे जँ महाबल मिश्र मैथिलीक प्रयोग करितथि तँ ऐ सँ हुनकर मैथिलीक ज्ञानमे अभिवृद्धि होइतन्हि। ओ भाजपा सांसद प्रभात झासँ कहलन्हि जे ओ अपन मूल प्रदेशक मैथिली भाषी सांसदसँ संसदमे मैथिलीक प्रयोग लेल प्रेरित करथि। शीला दीक्षित दिल्लीक मैथिली-भोजपुरी अकादमीक काज असंतोषजनक हेबाक गप कहलन्हि आ ओकर काज आगाँ ब्ढ़ेबामे सरकार सहयोग देत से कहलन्हि।
महाबल मिश्र मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे मैथिलीमे अपन भाषण देलन्हि। ऐ अवसर पर पूर्व सांसद श्री गौरीशंकर राजहंस आ दिल्लीक पूर्व विधायिका आ सांसद कीर्ति आजादक पत्नी श्रीमती पूनम आजाद सेहो रहथि।
सांसद प्रभात झा सीताक जन्मस्थली पुनौरा (सीतामढ़ी), विद्यापतिक जन्मस्थली बिस्फी (जिला दरभंगा) आ कालिदासक ज्ञानप्राप्ति स्थली उच्चैठ (जिला मधुबनी) क पर्यटन उद्देश्यसँ बढ़ावा देबाक आवश्यकता जनौलनि, ऐ स्थल सभक वर्तमान दुर्दशाक ओ चर्च केलन्हि आ ऐ संगे आन पर्यटन स्थल सभक विकास हेबाक आवश्यकता जनौलनि।
अखिल भारतीय मिथिला संघक महासचिव श्री विजय चन्द्र झा अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा कएल जा रहल कार्यक जनतब देलन्हि आ मैथिलीक विकास लेल सभकेँ आगाँ एबाक आह्वान केलन्हि।
मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे रंगमंच अभिनेत्री श्रीमती प्रेमलता मिश्र प्रेम, नाट्यकार श्री महेन्द्र मलंगिया, नाट्य निर्देशक श्री उत्पल झा, मैथिलीक ई-पत्रकार आ राष्ट्रीय सहाराक श्री हितेन्द्र गुप्ता, ध्रुपद गायक श्री अभय नारायण मल्लिक, शतरंज खिलाड़ी श्री श्रीराम झा, गोल्फ खिलाड़ी श्री अशोक कुमार, चिकित्सक डॉ. राज्यवर्धन आजाद, चिकित्सक डॉ. अजय चौधरी , उद्यमी श्री अनिल कुमार शर्मा, गायिका श्रीमती कुमुद झा, श्री रवीन्द्रनाथ ठाकुर (गीत-संगीत), श्री गजेन्द्र नारायण सिंह (संगीत) आ दिल्ली नगर निगमक हालक निर्वाचित पाँच टा पार्षद श्री सुनील झा, श्री रामदयाल महतो, श्रीमती तिलोत्तमा चौधरी, श्रीमती विमला देवी आ श्रीमती कल्पना झा सहित १९ गोटेकेँ
मिथिला विभूति सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल। श्री गजेन्द्र ठाकुरकेँ “पुरातात्विक तिरहुता भोजपत्र अभिलेखक पुनरोद्धार आ गूढ़ाक्षरकेँ स्पष्ट कऽ तकर देवनागरीमे लिप्यंतरण” लेल मिथिला विभूति सम्मानसँ सम्मानित कएल जेबाक छल मुदा कोनो कारणवश ओ सम्मान लेबा लेल नै एलाह।
(स्रोत समदिया)
 |
हितेंद्र गुप्ता के मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित करैत मध्य प्रदेश बीजेपी अध्यक्ष आ सांसद प्रभात झा जी आओर विजय चन्द्र झा जी - चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
स्मारिका लोकार्पण-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
मंच- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
विजय चन्द्र झा जी आओर संजीव कुमार मिश्र जी- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता |
 |
आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल शर्मा जी के संग विजय चंद्र झा जी - चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता |
 |
सांस्कृतिक कार्यक्रम -रश्मि रानी- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
सुनील कुमार पवन-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
सुनील कुमार पवन- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|
 |
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
|