Tuesday, August 21, 2012

उपप्रधानमन्त्री मिनापमे (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)



जनकपुरधाम, भादव ५ ।
उपप्रधानमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ मिथिला नाट्य कला परिषदक जनकपुरक राम चौक स्थित कार्यालयमे पहुँच निर्माणाधीन नाट्य घरकेँ निरीक्षण कएलन्हि ।
गुठी कार्यालयक जमीनमे निर्माण भऽ रहल नाटक घरकेँ जमीन मन्त्रीपरिषद सँ निर्णय कराएब आश्वासन देलन्हि अछि ।
ओ मैथिली भाषा, कला संस्कृतिक विकासक लेल सरकार गम्भीर रहल सेहो बतौलन्हि । ओ अवसरपर मिथिला नाट्य कला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक सहित नगरक विभिन्न क्षेत्रक व्यक्ति, राजनीतिक दलक प्रतिनिधि तथा कलाकारसभक सहभागिता रहल छल ।

No comments:

Post a Comment