Friday, April 19, 2013

सप्तरीक तिलाठीमे प्रबोध नारायण सिंह द्वारा लिखित मैथिल नाटक ‘प्रेमक रोग’ मंचित (रिपोर्ट जितेन्द्र कुमार झा)

सरस्वती पुजनोत्सवक अवसरपर ऐबेर सप्तरीक तिलाठीमे श्री सरस्वती सांस्कृतिक नाट्यकला परिषद द्वारा मञ्चन कएल गेल नाटककार प्रबोध नारायण सिंह द्वारा लिखित मैथिली नाटक ‘प्रेमक रोग’।
सात दशक पुरान इतिहासकेँ निरन्तरता दैत श्री सरस्वती सांस्कृतिक नाट्य कला परिषद् तिलाठी अहु बेर सरस्वती पुजनोत्सव तथा बसन्त पञ्चमी मेलाक अवसरपर दुइ गोट नाटकक मञ्चन कएलक । विक्रम सम्बत २००१ सालमे स्थापना भेल परिषद् विभिन्न आरोह-अबरोहकेँ पार करैत रंगमञ्चकेँ निरन्तरता दैत आबि रहल अछि । स्थापना सालसँ एखनधरि नाट्य विधा तथा रंगमञ्चकेँ निरन्तरता देनिहार सम्पुर्ण रंगयोद्धा लोकनिकेँ शत् शत् नमन ।

 प्रबोध नारायण सिंह द्वारा लिखित मैथिली नाटक ‘प्रेमक रोग’मे तान्त्रिकक अभिनय करैत

 प्रबोध नारायण सिंह द्वारा लिखित मैथिली नाटक ‘प्रेमक रोग’मे तान्त्रिकक अभिनय करैत