Saturday, February 16, 2013

परमेश्वर कापड़ि द्वारा लिखित मैथिली नाटक संग्रह चौआरिक विमोचन सम्पन्न (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुरधाम, फागुन ४ ।
नाटक संग्रह चौआरिक शुक्रदिन एक समारोहबीच विमोचन कएल गेल अछि ।
राष्टिूय मानव अधिकार आयोगक अध्यक्ष केदारनाथ उपाध्याय स्थानीय सीता पैलेस होटलमे विमोचन कएलन्हि अछि । परमेश्वर कापडिद्वारा लिखित ओ नाटक संग्रहमे लेबलैया हिलोरि कऽ, एलै परीक्षा, बोनिपर आ लिलामे गिला काण्ड नाटक रहल अछि । ई किताव विद्यापति पुरस्कार कोष सँ पुरस्कृत अछि ।
नाटक संग्रहके विमोचन करैत अध्यक्ष उपाध्याय कहलन्हि मैथिली बहुत समृद्ध भाषा अछि एकर विकासक लेल सरकारके ध्यान देब आवश्यक अछि । नेपाली आ मैथिली साहित्यकार बीच साहित्य आदान प्रदान पर जोड दैत ओ कहलन्हि एहिसँ दुनू भाषाके फाइदा हएत । समारोहमे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष रामअशिष यादव मैथिलीके साहित्यिक नाटक नहि मञ्चीय नाटकके आवश्यकता रहल उल्लेख कएलन्हि । मैथिली भाषामे पुस्तक प्रकाशनक क्रममे भेल वृद्धिके प्रशंसा करैत ओ कहलन्हि संस्थागत रुपमे प्रकाशन संस्था कोना स्थापना कएल जाए ताहि पर काज करबाक आवश्यकता रहल अछि ।
पुस्तकके लेखक परमेश्वर कापडिके सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे विद्यापति पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशि विद्यापति पुरस्कार कोष आलेख पर पुरस्कार दऽ नयाँ लेखकके प्रोत्साहन देबएके काज कऽ रहल जानकारी देलन्हि । चौआरि नाटक धियापुताक लेल बहुत ज्ञानबद्र्धक रहल सेहो ओ चर्चा कएलन्हि ।
कार्यक्रमक सञ्चालन घनश्याम मिश्र कएने छलथि ।

No comments:

Post a Comment