Saturday, July 28, 2012

मैथिला भाषाक सड़क नाटक प्रदर्शन- रिपोर्ट सुजीत कुमार झा




स्वस्थ्य महिला स्वस्थ्य परिवार आ स्वस्थ्य समाज मूल नाराक संग यदुकोहा आ माची झिटकहियामे सडक नाटक प्रदर्शन कएल गेल अछि । परिवार नियोजन पर आधारित 'जंगलमे मंगल' नामक मैथिली भाषाक ओ सडक नाटक पिसिआइ नेपालक सहयोगमे प्रतिविम्ब रंगमञ्च जनकपुर प्रदर्शन कएलक अछि ।रामेश्वर साह लिखित एवं निर्देशित ओ नाटकमे केवल कमल, श्याम प्रेमी, अमित साह, हृदय वंशाली, रंजीत मण्डल, दिपक साह, सन्ध्या चौधरी, ममता पण्डित, रन्जु लामा आ नेहा राय अभिनय कएने छलथि ।मैथिली भाषाक र्इ नाटक महोत्तरीक गौशालामे साउन १४ गते आ धमौरामे १५ गते प्रदर्शन कएल जाएत जानकारी प्रतिविम्ब रंगमञ्चक अध्यक्ष केवल कमल देलन्हि अछि ।

Tuesday, July 3, 2012

मैथिली नाटककारकेँ साहित्य अकादेमी पुरस्कारक सूची


मैथिली नाटककारकेँ साहित्य अकादेमी पुरस्कारक सूची

रामदेव झा (पसिझैत पाथर, एकांकी)केँ साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटल छै, ई सूचना जे कोनो नाटककारकेँ साहित्य अकादेमी पुरस्कार नै देल गेलै, गलत अछि।

नाटककार १९७३- ब्रजकिशोर वर्मा “मणिपद्म” (नैका बनिजारा, उपन्यास)

सुधांशु शेखर चौधरी, नाटककारक केँ १९८०- सुधांशु शेखर चौधरी (ई बतहा संसार, उपन्यास) लेल ई पुरस्कार भेटल छन्हि, हँ हुनका भफाइत चाहक जिनगी- नाटकपर नै भेटलन्हि से अलग गप।

गोविन्द झा , नाटककार १९९३- (सामाक पौती, कथा)

साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११-आनन्द कुमार झा (हठात परिवर्तन, नाटक) केँ भेटलै।

जगदीश प्रसाद मण्डल, नाटककार, केँ टैगोर साहित्य पुरस्कार २०११ १२ जून २०१२ केँ देल गेलन्हि, मिथिलाक बेटी (नाटक),एकांकी-संचयन, कम्प्रोमाइज (नाटक), झमेलिया वियाह (नाटक) क लेखक जगदीश प्रसाद मण्डल जीकेँ गामक जिनगी-कथा संग्रहपर ई पुरस्कार देल जा रहल छन्हि।