Wednesday, February 15, 2012

नाटककार आनन्द कुमार झा केँ साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११ (रिपोर्ट गजेन्द्र ठाकुर)

-साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११ मैथिली लेल श्री आनन्द कुमार झाकेँ हुनकर नाटक "हठात परिवर्तन" लेल देल गेल।

-श्री आनन्द कुमार झाकेँ विदेह समानान्तर युवा पुरस्कार २०११ पहिनहिये भेट चुकल छन्हि, हुनकर पोथी "हठात परिवर्तन" केँ वोटिंग लेल राखल गेल रहए आ नाटक "कलह" केँ ई पुरस्कार देल गेल रहए। हुनकर पाँचटा नाटकक पोथी प्रकाशित छन्हि। -

 - युवा पुरस्कार २०११ लेल जूरी रहथि श्रीमती शेफालिका वर्मा, श्री गंगेश गुंजन आ श्रीमती उषाकिरण खान।

- युवा पुरस्कारक सम्बन्धित वर्षक १ जनवरी (ऐ साल ई तिथि छल १ जनवरी २०११ केँ ३५ वर्ष) केँ ३५ वर्षसँ कम उमेरक रचनाकारकेँ सभ साल देल जाएत।

-ऐ साल पहिल बेर ई पुरस्कार शुरू कएल गेल अछि।

-पुरस्कारमे पचास हजार टाका आ ताम्र प्रशस्ति-पत्र देल जाएत।

आनन्द कुमार झाक पाँचू नाटक नीचाँक लिंकपर उपलब्ध अछि।

आनन्द कुमार झा- टाकाक मोल
आनन्द कुमार झा- कलह
आनन्द कुमार झा- बदलैत समाज
आनन्द कुमार झा-धधाइत नवकी कनियाँक लहास
आनन्द कुमार झा- हठात परिवर्तन

No comments:

Post a Comment