Friday, November 11, 2011

आशुतोष अभिज्ञकेँ शैलबाला पुरस्कार आ रीतू कर्णकेँ कामेश्वरी देवी पुरस्कार (रिपोर्ट श्री सत्यनारायण झा)

चेतना समिति ,पटनाक तत्वाधान मे विद्यापति पर्व समारोह रात्रि दिनांक १० -११ -२०११ केँ आशुतोष अभिज्ञकेँ शैलबाला पुरूस्कार एबं रीतू कर्णकेँ कामेश्वरी देवी पुरस्कार (नाटक मे सर्वोत्तम अभिनयक लेल) प्रदान कयल गेलनि जेकर ओ हकदार छलाह |


श्रीमती शैलबाला मिश्र स्मृति पुरस्कार: मधुबनी जिलाक चानपुरा निवासी, पटना कॉलेजक पूर्व प्रधानाचार्य, विश्वविद्यालय सेवा आयोगक पूर्व अध्यक्ष डॉ. सूर्यकान्त मिश्रक धर्मपत्नी श्रीमती शैलबाला मिश्रक स्मृतिमे १९८४ ई. सँ ई पुरस्कार प्रारम्भ भेल अछि। हुनक परिवार दिससँ चेतना समिति नामे जमा स्थायी निधिपर उपचित ब्याजसँ विद्यापति स्मृति पर्वक अवसरपर मंचित नाटकमे सर्वश्रेष्ठ अभिनय लेल कलाकारकेँ श्रीमती शैलबाला मिश्र स्मृति पुरस्कार प्रतिवर्ष देल जाइत अछि।

श्रीमती कामेश्वरी देवी पुरस्कार: चेतना समितिक आजीवन सदस्य आ समाज सेवी विजय कुमार मिश्र द्वारा अपन माइक नामपर चेतना समितिक नामे जमाराशिपर उपचित ब्याजसँ विद्यापति स्मृति पर्वक पर मंचित नाटकमे सर्वश्रेष्ठ अभिनय लेल महिला कलाकारकेँ २००२ सँ श्रीमती कामेश्वरी देवी पुरस्कार प्रतिवर्ष देल जाइत अछि।

No comments:

Post a Comment