Wednesday, September 7, 2011

मिनापक फैमिली थिएटर प्रजेक्ट- रमेश रंजन

फैमिली थिएटर प्रजेक्टपर मिनापक डेनिस संगे काज करहल अछि ।डेनिस संगे सात दिनक वर्कशँपमे प्रोजेक्ट प्लान बनबैत मिनापक कलाकर्मी । इ नाटक नोभेम्बरसँ होएबाक छै ।देशक बिभिन्न पन्द्रह ठाम ।नाटकके युनिर्भसल भाषा बनेबाक लेल इ महत्वपूर्ण अभ्यास भ सकै छै । एकर प्ले राइट हम क रहल छी आ हमरा लेल सून्दर अभ्यास प्रमाणित भ रहल अछि ।
 
फेमिल िथिएटर प्रोजेक्टक लेल एकटा मीथके पुर्नविष्कार क क कथा निर्माण केंलहुँ । दू पेजक छोटसन कथाके बिस्तार क क दश पेजक बनौलहुँ । तखन डेनिस संगे मिनापक सहकर्मि संगे व्यापक बिमर्शक बाद सात पंति के सिनाब्सिस तैयार केलहु । आहिके आधारपर स्क्रिन प्ले लिखि क बुझा देलियै। आब डेनमार्क जेतै आ कमेन्ट सहित फिर्ता अउतै। तकरबाद नाटयलेखन । संवाद नाटकके एकटा भूगोलमे कैद क दै छै तैं संवादविहिन एक घण्टाक नाटक तैयार करबाक छै। छै ने चनौतिपूर्ण कार्य ?
 

No comments:

Post a Comment